वार्ड (प्रशासनिक विभाग)

(वडासँ पुनर्निर्देशित)

वार्ड (ward) स्थानीय प्रशासनक लेल स्थापित कएल गेल एक छोट भौगोलिक क्षेत्र होइत अछि जे सामान्यतया कोनो गाम, नगरक भौगोलिक वितरणक एकटा कोनो निश्चित क्षेत्र पर आधारित होइत अछि । अस्ट्रेलिया, क्यानाडा, न्युजिल्यान्ड, संयुक्त राज्य अमेरिका, ब्रिटेन, दक्षिण अफ्रिका, मोनाको आ किछ अन्य क्षेत्रसभमे ई एक चुनावक्षेत्र सेहो होइत अछि । भारतमे मुम्बईदिल्ली जका नगरसभमे ई एक प्रशासनिक विभाग होइत अछि ।[१][२]नेपालमे वार्ड एक राजनैतिक विभाग छी जकर आधारमे गाउँपालिका, नगरपालिका, उपमहानगरपालिकामहानगरपालिकाक निर्माण कएल जाइत अछि । सन् २०१६ मे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा नेपालमे ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद नेपालमे ४ टा महानगरपालिका, १३ टा उपमहानगरपालिका, २ सय ४६ नगरपालिका आ ४ सय ८१ गाउँपालिका कायम भेल अछि ।[३] [४][५] नेपालक स्थानीय तहमे कूल ६ हजार ६ सय ८० टा वार्ड कायम भेल अछि ।[६]


सन्दर्भ सामग्रीसभ

एहो सभ देखी