२०११ नेपाल जनगणना

२०११ नेपाल जनगणना नेपालमे कएल गेल एघारहम राष्ट्रिय जनगणना छी । ई जनगणना देशव्यापी रूपमे तथ्याङ्क सङ्कलन केनए छल । राष्ट्रिय जनगणनाक अन्तिम प्रतिवेदन अनुसार नेपालक जनसङ्ख्या २ करोड ६४ लाख ९४ हजार पाँच सौ चार पहुँचल अछि[२]

२०११ नेपाल जनगणना
2011 Nepal census
सामान्य जानकारी
देशनेपाल
कूल जनसङ्ख्या२,६४,९४,५०४
परिवर्तन प्रतिशतवृद्धि १.३५%[१]
बेसी जनसङ्ख्या भेल विकास क्षेत्रमध्यमाञ्चल (९६,५६,९८५)
कम जनसङ्ख्या भेल विकास क्षेत्रसुदूर-पश्चिमाञ्चल (२५,५२,२१७)

केन्द्रीय तथ्याङ्क विभाग, नेपालद्वारा प्रकाशित कएल गेल सन् २०११ (वि.सं. २०६८) के राष्ट्रिय जनगणनाक प्रारम्भिक नतिजा अनुसार नेपालक जनसङ्ख्या २,६६,२०,८०९ लोक पहुँचल देखबैत अछि, जे दश वर्ष पहिने सन् २००१ (वि.सं. २०५८ साल)क जनसङ्ख्या २,३१,५१,४२३ कऽ तुलनामे ३४,६९,३८६ सँ बेसी देखबैत अछि । ई दश वर्षमे नेपालक जनसङ्ख्या १४.९९ प्रतिशत बढल देखबैत अछि । विगत दश वर्षक सरदर बार्षिक वृद्धिदर (Exponential Growth) १.४० प्रतिशत देखाएल । वि.सं. २०४८ सँ वि.सं. २०५८ धरि दश वर्षमे सरदर वार्षिक जनसङ्ख्या वृद्धिदर २.२५ प्रतिशत रहल छल ।[३]

सङ्क्षिप्त बिवरण

  1. कुल जनसङ्ख्या- २६४९४५०४
  2. पुरुष- ४८.५० प्रतिशत (१२८४९०४१)
  3. महिला- ५१.५० प्रतिशत (१३६४५४६३)
  4. लैङ्गिक अनुपात- ९४.१६
  5. जनघनत्व- १८० प्रतिवर्ग किलोमिटर
  6. परिवार सङ्ख्या- ५४२७३०२
  7. पूर्वाञ्चलक जनसङ्ख्या- ५८११५५५(२१.९३)
  8. मध्यमाञ्चलक जनसङ्ख्या- ९६५६९८५(३६.४५)
  9. पश्चिमाञ्चलक जनसङ्ख्या- ४९२६७६५(१८.६०)
  10. मध्यपश्चिमाञ्चलक जनसङ्ख्या- ३५४६९८५(१३.३९)
  11. सुदूरपश्चिमाञ्चलक जनसङ्ख्या- २५५२५१७(९.६३)[४]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी