आसनसोल (बङ्गाली: আসানসোল) कोलकाताके बाद पश्चिम बंगाल कs सबसं बड़का शहर छी। छोटका नागपुरके पठारके लगभग मध्यमे प्रदेशके पश्चिमी सीमा पर स्थित इ नगर खनिज पदार्थसभमे धनी अछि। अही ठाम सेनेरैल साइकिल कs भारत प्रसिद्ध कारखाना अछि।[१] दस लाखसं अधिक जनसंख्या वला इ महानगर वर्धमान जिला कs एक प्रखंड छी एवं इ भारतके ओ ११ शहरोंमे सं एक छी जे विश्वके १०० सबसे तेजीसं विकसित भs रहल शहरसभक सूचीमे अछि। प्रदेश कs राजधानी कोलकातासं २०० किलोमीटर दूर दामोदर नदी कs घाटीमे स्थित इ नगरके अर्थव्यवस्था कs आधार कोयला एवं स्टील छी।